अनुभव


हमर अपन जे देलनि
ताहिमें सभसं महत्वपूर्ण अछि 
हुनक अनुभव
हमरा नहि लगैत अछि 
जीवन मे जीवन हेबाक लेल
अनुभव सं बेसी  किछु 
महत्व रखैत अछि 
अनुभव एकटा बितल सत्य छी 
जे जीवन के जीवन प्रदान करैत अछि!
पूरा जीवन केर बिताक 
जे अंतमे प्राप्त भेल वैह त छी अनुभव!
"अहि काज करबा मे इ समस्या ऐत"
जे अहांके पहिने सचेत करैत छथि 
ओ भले अछि एकटा रुपे फेलियर मुदा 
तजुर्बा केर समटैत इ कहैत छथि
"डरि के नहि केलौं हम किछु 
सोचने छैलों जे हैत निक हैत"

अंत मे बुझलौं हमरा सोचला सं नहि
हमरा केलासं हमर काज हैत!!

Comments

Popular posts from this blog

उलबा चाउर

अर्द्धांगिनी

भकमोड़