Posts

Showing posts from April, 2023

जगदीश प्रसाद मण्डल, मैथिली साहित्य

Image
सतासी इस्वीक बाढ़ि, जइमे कोसी आ कमला दुनू धारक बान्ह-छहर अनेकोठाम टुटि गेल। ऐठाम ई बुझू जे कोसीक बान्ह छी आ कमलाक छहर। भलेँ दुनू धारे किए ने छी। ओइ बाढ़िमे पानिक ठहराव एहेन भऽ गेल जे गाम समुद्रनुमा भऽ गेल। महीनो भरि माने तीन माससँ छह मास धरि पानि उतरैमे लागि गेल, माने धरती जगैमे लागि गेल। जहिना साइबेरियाक खेतसँ बरफ उतरैमे तीन माससँ नअ मास तक लगैए तहिना। जैठाम लोकक जीवने अस्त-व्यस्त भऽ गेल, तैठाम आनक कोन चर्च। आमक गाछी-कलमसँ भरल सीतापुर गाम जे साल बीतैत-बीतैत माने बाढ़िक पानिकेँ सुखैत-सुखैत, वृक्ष विहीन भऽ गेल। सीतापुरक गाछी-कलम सोल्होअना सुखि गेल। केतौ-केतौ बाँसक बीट जीवित रहल, जे गाछक ओ रूप बना ठाढ़ रहल जइमे फल-फूलक दरस नहि। बाढ़ि एलापर अधिकांश लोकक मुहेँ यएह निकललैन जे कोसी-कमलाक बाढ़ि छी, बुझले अछि जे अपना मिथिलामे बेटी-पहुनाइ अढ़ाइ दिनक होइए। तहिना ने कोसीयो-कमला—दुनू बहिन—पहुनाइ करती। अढ़ाइ दिनक पछाइत जेबे करती, तइले लोक परेशान किए हएत। मनक धैर्य तँ बन्हल रहल मुदा जइ गाममे पचास-सँ-साठि प्रतिशत भीतघर छल बाँकी टटघर। पाँच साए परिवारक गाममे मात्र पनरहटा ईंटा घर छल। गाममे बाढ़ि प्रवे

जगदीश प्रसाद मण्डलजीक नियमित रचना क्रम-

Image
 सासुरक गारि- शब्द संख्या : 181, 405.  खिचड़ी मोछ- शब्द संख्या : (552),   406. पाइक मोल- शब्द संख्या : 2412, तिथि : 22 दिसम्बर 2013  407. चोरूक्का झगड़ा- शब्द संख्या : 538, तिथि : 24 दिसम्बर 2013  408. अपसोच- शब्द संख्या : 548, तिथि : 26 दिसम्बर 2013   409. पतझाड़- शब्द संख्या : 2587, तिथि : 31 दिसम्बर 2013  410. झीसीक मजा- शब्द संख्या : 453, तिथि : 1 जनवरी 2014  411. मति-गति- शब्द संख्या : 1807, तिथि : 07 जनवरी 2014  412. रिजल्ट- शब्द संख्या : 2343, तिथि : 16 जनवरी 2014  413. अपन सन मुँह- शब्द संख्या : 5696, तिथि : 25 जनवरी 2014  414. सुमति- शब्द संख्या : 3072, तिथि : 30 जनवरी 2014  415. फेर पुछबैन- शब्द संख्या : 346, तिथि : 31 जनवरी 2014  416. माघक घूर- शब्द संख्या : 1683, तिथि : 06 फरवरी 2014  417. खर्च- शब्द संख्या : 330, तिथि : 07 फरवरी 2014 418. अखरा-दोखरा- शब्द संख्या : 342, तिथि : 10 फरवरी 2014 419. पेटगनाह- शब्द संख्या : 593, तिथि : 14 फरवरी 2014  420. बड़की माता- शब्द संख्या : 1224, तिथि : 18 फरवरी 2014 421. धरती-अकास- शब्द संख्या : 184 , तिथि : 19 फरवरी 2014  422. बकठाँइ- शब

जीवन दान #JagdishPrasadMandal

Image
  JEEVAN DAN ( जीवन दान ) Collection of Maithili Stories by Shri Jagdish Prasad Mandal     प्रकाशक : पल्लवी प्रकाशन  तुलसी भवन , जे.एल.नेहरू मार्ग , वार्ड नं. 06, निर्मली जिला- सुपौल , बिहार : 847452   वेबसाइट : http://pallavipublication.blogspot.com ई-मेल : pallavi.publication.nirmali@gmail.com मोबाइल : 6200635563; 9931654742     प्रिन्ट : मानव आर्ट , निर्मली (सुपौल) आवरण : श्रीमती पुनम मण्डल , निर्मली ( सुपौल ),  बिहार : 847452   फोण्ट सोर्स : https://fonts.google.com/ , https://github.com/virtualvinodh/aksharamukha-fonts   दाम : 250 / - (भा.रू.) सर्वाधिकार © श्री जगदीश प्रसाद मण्डल पहिल संस्करण : 2022   ISBN : 978-93-93135-03-2   ऐ पोथीक सर्वाधिकार सुरक्षित अछि। कॉपीराइट धारक अथवा प्रकाशक केर लिखित अनुमतिक बिना पोथीक कोनो अंशक छाया प्रति एवं रिकॉडिंग सहित इलेक्‍ट्रॉनिक अथवा यांत्रि‍क , कोनो माध्यमसँ अथवा ज्ञानक संग्रहण वा पुनर्प्रयोगक प्रणाली द्वारा कोनो रूपमे पुनरुत्पादित अथवा संचारित - प्रसारित नहि कएल जा सकैत अछि।