Posts

Showing posts with the label Dr. Bacheshwer Jha

मैथिली कहानी

Image
बासाक प्रथम अनुभव प्राय: जीवनमे अनेकानेक अनुभव होइत गेल अछि, मुदा पटनामे अवस्थि‍त बासाक अनुभव चिरस्मरणीय रहत। ऐ अनुभवकेँ लिपिबद्ध करबाक नि‍आर बहुतो दिनसँ कऽ रहल छेलौं। आखिर आइ लिखि पाठक आ श्रोताक मध्‍य प्रस्‍तुत कऽ रहल छी। यद्यपि अतिश्‍योक्‍तीओ नै अपितु सत्यक आधार आ विनोदपूर्ण विषयक नि‍रूपण करबाक चेष्टा कएल अछि, ताकि सुधीजन ऐ हास्‍यपूर्ण कथाक त्रुटिपर धियान नै दऽ उत्‍साहित करथि, यएह हमर आशा आ आकंक्षा।  बासाक अनुभव प्राप्‍त हेबाक कारण छल रामकृष्‍ण महाविद्यालय मधुबनीसँ भूगोल विषयमे स्‍नातक प्रतिष्ठा सहित उत्तीर्णता प्राप्‍त कऽ अग्रि‍म पढ़ाइक हेतु पटना गेल रही। आेइ समैमे पटना आ राँची दुइए ठाम भूगोल विषयमे एम.ए.क पढ़ाइ सम्‍भव छल। बिहार अधि राज्यमे अन्‍यत्र नहि। आब तँ नवको विश्व विद्यालयमे भूगोलमे एम.ए.क पढ़ाइ होमए लगल छै, मुदा हमरा लोकनि‍केँ भूगोल पढ़लासँ जे पापर बेलए पड़ल से भगवतीसँ प्रार्थना कएल जे भावी पीढ़ि‍क छात्रकेँ एहेन पापर नै बेलए पड़न्‍हि‍।  गौरवक बात नै मानल जाए तँ हम ओइ श्रेणीक विद्यार्थी रही जे विज्ञान, कला आ वाणि‍ज्य संकायमे बढ़ि‍याँ कऽ सकैत छेलौं, भाग्यक व...