Posts

Showing posts from February, 2021

#मौलाइल_गाछक_फूल

Image
  #मौलाइल_गाछक_फूल : ‘मौलाइल गाछक फूल’ जगदीश प्रसाद मण्डलजीक पहिल औपन्यासिक कृति छियनि। एहि उपन्यासक लेखन 2004 इस्वीमे कयने छथि। लेखन कार्यक आरम्भक सन्दर्भमे जगदीश प्रसाद मण्डलजी अपन मंतव्य व्यक्त करैत उक्त उपन्यासक ‘दू शब्द’मे लिखने छथि- “मौलाइल गाछक फूल 2004 ईस् ‍ वीमे लिखल पहिल उपन्यास छी। अखन धरि पाँचटा उपन्यास आ किछु कथा, लघुकथा, नाटक सभ अछि। छपबैक जे मजबूरी बहुतो रचनाकारकेँ छैन ‍ से हमरो रहल। मुदा तइसँ लिखैक क्रम नै टुटल। ‘भैंटक लावा’ कथा सेहो दू-हजार चारिक पहिल कथा छी।” प्रस्तुत उपन्यास, ‘मौलाइल गाछक फूल’क पहिल संस्करण 2009 इस्वीमे ‘श्रुति प्रकाशन’, न्यू राजेन्द्र नगर, नई दिल्ली- 110008 सँ प्रकाशित अछि। वर्तमानमे पाँचिम संस्करण ‘पल्लवी प्रकाशन’, तुलसी भवन, जे.एल. नेहरू मार्ग, वार्ड नं. 06, निर्मली, जिला- सुपौल, बिहार : 847452 सँ प्रकाशित छन्हि। 03.04.2010क जनकपुर (नेपाल) मे ‘सगर राति दीप जरय’क 69म कथागोष्ठी आयोजित भेल छल। जाहिमे ‘मौलाइल गाछक फूल’ उपन्यासक लोकार्पण प्रसिद्ध भाषाविद् डॉ. रामावतार यादव, डॉ. रामानन्द झा ‘रमण’, डॉ. राजेन्द्र ‘विमल’ ओ श्री राजाराम सिंह ‘राठौर’ तथ