श्री जगदीश प्रसाद मण्डल
श्री जगदीश प्रसाद मण्डलजीक जन्म मधुबनी जिलाक बेरमा
गाममे 5 जुलाई 1947 इस्वीमे भेलैन। मण्डलजी हिन्दी एवं राजनीति शास्त्रमे एम.ए.क
अहर्ता पाबि जीविकोपार्जन हेतु कृषि कार्यमे संलग्न भऽ रूचि पूर्वक समाज सेवामे
लागि गेला। समाजमे व्याप्त रूढ़िवादी एवं सामन्ती व्यवहार सामाजिक विकासमे हिनका
वाधक बुझि पड़लैन। फलत: जमीन्दार, सामन्तक
संग गाममे पुरजोर लड़ाइ ठाढ़ भऽ गेलैन। फलत: मण्डलजी अपन जीवनक अधिकांश समय
केस-मोकदमा, जहल यात्रादिमे व्यतीत केलाह।
2001 इस्वीक पछाइत साहित्य लेखन-क्षेत्रमे एला। 2008 इस्वीसँ विभिन्न
पत्र-पत्रिकादिमे हिनक रचना प्रकाशित हुअ लगलैन। गीत, काव्य, नाटक, एकांकी, कथा, उपन्यास इत्यादि साहित्यक मौलिक विधामे हिनक अनवरत लेखन
अद्वितीय सिद्ध भऽ रहलैन अछि। अखन धरि दर्जन भरि नाटक/एकांकी, पाँच साएसँ ऊपर गीत/काव्य, उन्नैस गोट उपन्यास आ साढ़े आठसाए कथा-कहानीक संग किछु
महत्वपूर्ण विषयक शोधालेख आदिक पुस्तकाकार, साएसँ ऊपर ग्रन्थमे प्रकाशित छैन।
मिथिला-मैथिलीक विकासमे श्री जगदीश प्रसाद मण्डलजीक
योगदान अविस्मरणीय छैन। ई अपन सतत क्रियाशीलता ओ रचना धर्मिताक लेल विभिन्न
संस्थासभक द्वारा सम्मानित/पुरस्कृत होइत रहला अछि, यथा- विदेह सम्पादक मण्डल द्वारा ‘गामक जिनगी’ लघु कथा संग्रह लेल ‘विदेह
सम्मान- 2011’, ‘गामक
जिनगी व समग्र योगदान हेतु साहित्य अकादेमी द्वारा- ‘टैगोर लिटिरेचर एवार्ड- 2011’, मिथिला मैथिलीक उन्नयन लेल साक्षर दरभंगा द्वारा- ‘वैदेह सम्मान- 2012’, विदेह सम्पादक मण्डल द्वारा ‘नै धारैए’ उपन्यास लेल ‘विदेह
बाल साहित्य पुरस्कार- 2014’, साहित्यमे
समग्र योदान लेल एस.एन.एस. ग्लोबल सेमिनरी द्वारा ‘कौशिकी साहित्य सम्मान- 2015’, मिथिला-मैथिलीक विकास लेल सतत क्रियाशील रहबाक हेतु अखिल भारतीय मिथिला संघ द्वारा- ‘वैद्यनाथ मिश्र ‘यात्री’ सम्मान-
2016’, रचना धर्मिताक क्षेत्रमे
अमूल्य योगदान हेतु ज्योत्स्ना-मण्डल द्वारा- ‘कौमुदी सम्मान- 2017’, मिथिला-मैथिलीक संग अन्य उत्कृष्ट सेवा लेल अखिल भारतीय
मिथिला संघ द्वारा ‘स्व.
बाबू साहेव चौधरी सम्मान- 2018’, चेतना
समिति, पटनाक प्रसिद्ध ‘यात्री चेतना पुरस्कार- 2020’, मैथिली साहित्यक अहर्निश सेवा आ सृजन हेतु मिथिला
सांस्कृतिक समन्वय समिति, गुवाहाटी-असम
द्वारा ‘राजकमल चौधरी साहित्य सम्मान-
2020’, भारत सरकार द्वारा ‘साहित्य अकादेमी पुरस्कार- 2021’, साहित्य ओ संस्कृतिमे महत्वपूर्ण अवदान लेल अमर शहीद
रामफल मंडल विचार मंच द्वारा ‘अमर
शहीद रामफल मंडल राष्ट्रीय पुरस्कार- 2022’, मिथिलांचल विकास परिषद्, लहेरियासराय, दरभंगा द्वारा ‘यात्री
सम्मान- 2022’ तथा
साहित्य, संस्कृति, सामाजिक आ मिथिलांचलक सर्वांगीण विकासक क्षेत्रमे
उल्लेखनीय योगदान हेतु ‘शिखर
सम्मान- 2022’ सँ सम्मानित/पुरस्कृत।
Comments
Post a Comment