श्री जगदीश प्रसाद मण्डलक उद्बोधन-

प्रस्तुत अछि श्री जगदीश प्रसाद मण्डलक उद्बोधन
अवसरि-
शकुनतला-भुवनेश्वरी मैथिली-संस्कृत संवर्द्धन न्यास, हैदराबाद द्वारा आयोजित पुरस्कार वितरण समारोहक आयोजन दिनांक 24.11.2022क दिनक अढ़ाइ बजेसँ आरम्भ भ’ साँझक साढ़े छह बजे सम्पन्न भेल। ई समारोह जगन्नाथपुर (पुर्णिया) मे देसिल वयनाक सम्पादक श्री चन्द्रमोहन कर्णजीक निज आवासपर आयोजित छल। कार्यक्रमक विवरण निम्न अछि-
पुरस्कार वितरण समारोह :-
मुख्य अतिथि : श्री बुद्धिनाथ झा
विशिष्ट अतिथि : श्री जगदीश प्रसाद मण्डल
पुरस्कार विजेता : डॉ. महेन्द्र, डॉ. शिवशंकर श्रीनिवास, श्री अशोक, डॉ. उमेश मण्डल तथा श्री अरुण कुमार झा ‘अरूण’
निर्णायक मण्डल : श्री लक्ष्मण झा सागर, श्री चन्द्रेश एवं श्री केदार कानन
मंच- संचालन : श्री किसलय कृष्ण
कार्यक्रमक रूप-रेखा-
गोसाउनिक गीत
उपर्युक्त सभ अतिथि लोकनिक पाग-डोपटासँ स्वागत
दीप प्रज्जवलन
श्री केदार कानन द्वारा स्वागत भाषण
मुख्य न्यासी श्री चन्द्र मोहन कर्णक उद्बोधन
पॉंचो पुरस्कार विजेता लोकनिकेँ प्रशस्ति-पत्र द्वारा सम्मानित करब
श्री चन्द मोहन कर्णक काव्य संग्रह ‘माँ-बाबूजी’क लोकार्पण आ श्री कर्णक पोथी-सम्बन्धी उद्गार
निर्णायक मण्डलक सदस्य लोकनिक उद्बोधन
पाँचो पुरस्कार विजेता लोकनिक उद्बोधन
विशिष्ट अतिथि श्री जगदीश प्रसाद मण्डलक उद्बोधन
मुख्य अतिथि श्री बुद्धिनाथ झाक उद्बोधन
समारोहक अन्तमे अतिथि लोकनि द्वारा काव्य-पाठ
अतिथि लोकनिकेँ मेमेन्टो वितरण
श्री कर्ण द्वारा धन्यवाद ज्ञापन
ग्रुप फोटोग्राफी
समापन

-

 

Comments

Popular posts from this blog

ढाई आखर प्रेम का

ढाई आखर प्रेम का

अप्पन साती